वसन्त-चुमाओन / Vasant-chumaon Vidyapati

अभिनव पल्लव बइसक देल। धवल कमल फुल पुरहर भेल।।
कए मकरन्द मन्दाकिनि पानि। अरूण अशोक दीप दहु आनि।।
माइ हे आजु दिवस पुनमन्त। करिअ चुमाओन राय बसन्त।।
सपुण कलानिधि दधि भल भेल। भमि भमि भमर हकारइ देल।।
केशु कुसुम सिंदुर सम भास। केतकि धूलि बिथरू परवास।।
भनइ विद्यापति कवि कण्ठहार। रसबुझ शिवसिंह शिव, अवतार।।

यहाँ पढ़ें – विद्यापति का साहित्य / जीवन परिचय एवं अन्य रचनाएं
 

 

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

Rajasthani Lokgeet Lyrics in Hindi राजस्थानी लोकगीत लिरिक्स

बुन्देली गारी गीत लोकगीत लिरिक्स Bundeli Gali Geet Lokgeet Lyrics

कुमार विश्वास की कविताएँ | Kumar Vishwas Kavita – कोई दीवाना कहता है